मैथिली गीत
अहांक मोन हम पएढ लेब यौ राजा
अहांक मोन हम पएढ लेब।
अहां संऽ प्रेम हमरा भऽ गेल यौ राजा
अहां संऽ प्रेम हमरा भऽ गेल।।
कियै किछु नैय बाजय छी अहां
अपन दिलहुंक बात बताबू अहां
हमर अंएख संऽ अंएख मिलाबू
कने प्रेम कऽ बात बुझाबू अहां
मोनक बात हमहुं कैह देब यौ राजा
मोनक बात हमहुं कैह देब।
अहां संऽ प्रेम हमरा भऽ गेल यौ राजा
अहां संऽ प्रेम हमरा भऽ गेल।।
कोना कहब मोनक बात अहां संऽ
भऽ गेल सजनी हमरा प्रेम अहां संऽ
अहांक अंएख संऽ अंएख मिलाएब यै
करब हम प्रेम कऽ बात अहां संऽ
सिथ सेनुर अहांक हम भैर देब यै सजनी
सिथ सेनुर अहांक हम भैर देब।
दिलहुंक बात हम कैह देब यै सजनी
दिलहुंक बात हम कैह देब।।
अहां संऽ प्रेम हमरा भऽ गेल यौ राजा
अहां संऽ प्रेम हमरा भऽ गेल।।
प्रतिभा प्रज्ञा
30/09/2023
©Pratibha Pragya
#romanticstory